आई हमर एडिनबर्ग (हम एहिना उच्चारण करब) शहर मे अन्तिम दिन थीक. कुल मिला केँ चारि दिन रहबाक छल एतय. पहिल दू दिन’क वर्णन हम पहिने कऽ देने छी आ बाँकी दू दिन’क वर्णन केँ एहि भाग मे लिख रहल छी.
वर्ल्ड इज फ्लैट आ एडिनबर्ग:
एडिनबर्ग शहर मे आबए सँ किछु दिन पहिने हम थामस फ्रेडमेन लिखित किताब “द वर्ल्ड [...]