दरभन्गा मे I.I.I.T’क राजनीति

विश्व मे जे प्रतिष्ठा भारतवर्षक अछि ओएह प्रतिष्ठा भारत मे बिहार’क अछि. सम्प्रति बिहार वासी मिलि ओएह सम्बन्ध बिहार आ मिथिला मे बना देलक. मतलब ई जे दूनियाँ वाला जानैत अछि जे भारत एक महा शक्ति बनबाक इच्छा राखैत अछि. भारतक पास अथाह प्रतिभा अछि. दूनियाँ’क संग संग भारतो प्रगति कय रहल अछि. मुदा आई काल्हि कोनो आम अमेरिकन के पुछू जे ओ आम भारतीय के बारे मे की जानैत अछि, ते ओकर जवाब होयत… भारत एक साँपेरा’क देश अछि जतुका लोक बहुत बढियाँ कम्प्यूटर प्रोग्रान्मिन्ग करय जानैत अछि. जतूका लोक अपन पत्नी केँ पीटाई करैत अछि, जतय हरेक सरकारी कर्मचारी बिना घूस के काज नहि करैत छैक, इत्यादि-इत्यादि. मतलब ई जे भारत’क लोक बुरबक होइत छैक.  इएह बात जँ किओ दोसर राज्य’क लोक बिहार’क बारे मे कहैत छैक जे बिहारी बेवकूफ, कम पढल लिखल, खैनी खाय वाला, मजदूरी करय वाला होइत अछि. ईएह बात बिहार के रहय वाला लोक मैथिल के बारे मे कहैत अछि. बिहार’क लोक मे एकटा कहानी बहुत प्रचलित अछि…

यदि अपने केँ हमर प्रयास नीक लागल तेँ एहि ब्लोग पर टिप्पणी द्वारा सूचित करु. अपनेक टिपण्णी हमरा प्रोत्साहन देत.

जे यदि कखनो नाग साँप आ मैथिल दू टा एकसाथ सामने आबि जाय ते नाग साँप केँ छोडि पहिने मैथिल के मारबाक चाही. मतलब ई जे बिहारी बहुत बढियाँ आ मैथिल बहुत खराब. ई मानसिकता ओएह इमेज’क प्रभाव थीक जाहि सँ भारत विश्व मे खराब आ बिहार भारत मे.

एहि मानसिकता प्रभाव हर जगह पड़ल अछि. एकरा कारणे जे किछु बिहार मे डेवेलपमेन्ट भ’ रहल अछि ओ केवल पटना आ आसपास मे सिमटि केँ रहि जैत अछि. एकरा लेल आवाज उठनाई शुरु भेल आ ओकर असर ई भेल जे नेता सभ’क आँखि मिथिला क्षेत्र तरफ होमय लागल. 

हाल’क दिनि मे पटना मे आई.आई.टी आ आई.आई.एम खोलबाक विचार चलि रहल छल. पटना’क बिहटा मे आई.आई.टी.’क लेल जगह सेहो तय भेल. तेँ संगहि मिथिला क्षेत्र मे एकटा कोनो पैघ सँस्था खोलबाक विचार भेल. एहि क्रम मे दरभन्गा मे आई.आई.आई.टी खोलबाक विचार सुनबा मे आयल. एहि सँ पहिने कि मैथिल लोकनि प्रसन्न भ’ जाथि पहिने ई जानबाक अति आवश्यक जे ट्रिपल आई.टी नामक सँस्था की होइत अछि.

आई.आई.आई.टी (IIIT) भारतवर्ष मे सूचना प्रैद्योगिकि’क बढैत सोफ़्टवेयर ईन्जिनीयर’क मांग लेल विशेष रुप सँ खोलल गेल छल. एहि मे दू तरहक सँस्था रहैत छैक. सरकारी आ निजी क्षेत्र द्वारा प्रायोजित.  ईलाहाबाद आ जबलपूर (आदि) सरकारी सँस्था थीक. आ हैदराबाद, बन्गलोर, पूना, कलकत्ता, त्रिवेन्द्रम इत्यादि निजी क्षेत्र द्वारा प्रायोजित थीक.

हमर आई.आई.आई.टी सँ काफी पूराना स्म्बन्ध अछि. हमरा हिसाब सँ निजी क्षेत्र’क द्वारा प्रायोजित आई.आई.आई.टी चाहे बहुत बढियाँ वा बहुत खराब अछि. जेना हैदराबाद आ बन्गलोर’क बहुत बढियाँ अछि. यदि केओ एकर तुलना आई.आई.टी सँ करताह ते कोनो खराप नहि, वस्तुत: आई.आई.टी के कान काटैत छैक. मुदा कलकत्ता, पूना आ त्रिवेन्द्रम के बहुत खराब अछि. कलकत्ता’क जतय बन्द होईक कगार पर छैक, पूना’क आई.आई.आई.टी’क अधिकाँशत: कोर्स मान्यता प्राप्त नहि छैक. एहि सभ’क एक्केटा मूल कारण छैक, जे निजी क्षेत्र द्वारा प्रायोजित सँस्था मे फण्ड’क कमी छैक. प्रोफेसर केँ सैलरी नहि भेटैत छैक.

सरकारी आई.आई.आई.टी’क स्थिति सामान्य छैक, आ एकर तुलना एन.आई.टी सँ कयल जा सकैत छैक.

तेँ अपना लोकनि केँ एक्के परिस्थिति मे खुश होयबाक चाही जखन दरभन्गा मे सरकारी आई.आई.आई.टी खुलय. अन्यथा एकरा बिहार सरकार द्वारा एकटा आओर प्रोपेगेण्डा बुझि एकर बहिष्कार करक चाही.

5 Comments

  1. 1

    सर अहा के उक्ती त हरदम प्रेरनिय होइ अछि. ई आलेख बहुतो मैथिल के लेल मार्गदर्शक भेल अछि.

  2. 2
    anand jha Says:

    ha
    m pahil ber dekhlanhu ta bahut mon kush behl ham apan anand ki
    kahu hamar ta name anand achi

  3. 3
    Bimal Kumar Jha Says:

    Shriman,
    Apnek vichar sammanniya aa anugrhaniya achi. Technical college aa education k baare men ekhan thak sahi aa upyukt jaankari sab gote ker uplabdh nahi achi. Apnek ekta technical professsional chi tahi hum aahan sa aasha karait chi je aahana future me seho apan vichar sa abgat karbait rahabaik.
    Dhanyabad.

  4. 4
    Dayakant Says:

    Sir, aha 100% nahi 101% sahi kahalhu je sathan vishaw me India ke chhaik weha sthan India me Bihar ke weha sthan Bihar me Mithila prant ke acchi ekra lel sabse pahine hamra sab ke Ekjut Hobay parak Ee Kaj takhne sambhav acchi bartman samay me Bihar ke Bikas ke matlab sirf Patna aur Aas pass tak simit acchi

  5. 5
    Nikhil Says:

    अपनेक विचार प्रगतिशील लागाल. IIIT के स्थापना सरकार दिस स प्रस्तावित भेल मुदा अएखन तक नई भौ पायल – ई त अधलाह बात अएछे मुदा विचार करवाक आवयस्कता त ई अईछ जे ई उपेक्षा वंचित भू-भाग के कत धएर आंदोलित क़ईलक. अकर अभिव्यक्ति कोन ढंग स भेल? एकरा सशक्त केना बनाईल जा सकेत अईछ.

    पूर्व राष्ट्रपति डॉक्टर कलाम द्वारा उद्‍घाटित महिला IIIT कोन हालत मे अईछ – से जानकारी अपने दी.


RSS Feed for this entry

Leave a Comment