- नाम- पद्मनाभ मिश्र
- मिथिला मे- गाम- बनैनियाँ (गुणानन्द ठाकूर एम.पी. वाला) जिला-सुपौल, निकटतम रेलवे स्टेशन- सरायगढ.
- सम्प्रति- इन्फोसीस कम्पनी मे कारपोरेट रीसरचर पद पर कार्यरत.
- सम्पर्क: इमेल सँ mishrapadmanabh[@]yahoo.co.in . ओना बँगलोर शहर मे रहैत छी. ई-मेल सँ सम्पर्क कय भेँट-घाँट क’ सकैत छी.
- जीवन-यात्रा:- बनैनियाँ गाम सँ होइत पहिने गोरखपूर, फेर ईलाहाबाद, आ खड़गपूर सँ होइत आई बँगलोर शहर मे छी. ओना किछु दिनक लेल दिल्ली, बम्बई, जयपूर, लास-वेगास, सैन-होसे(जोसे), आ पिट्सवर्ग शहर मे प्रवास केने छी आ एहि शहर के बारे मे नीक जेँका परिचित.
- बातचीत: मैथिली, हिन्दी, अन्ग्रेजी, भोजपूरी आ बँगला भाषा’क ग्यान. सप्ताह मे ४३ घँटा अँग्रेजी बाजबाक अधिकारिक कमिटमेन्ट मुदा मैथिली भाषा सँ विशेष लगाव. विश्व मे मैथिली भाषा’क पहिल ब्लोग लिखबाक दावा.
- सपना: वर्ष २००७’क अन्त मे एक दर्जन, २००८’क अन्त मे एक सय, २००९’क अन्त मे एक हजार मैथिली ब्लोगर’क सँख्या होमय.
- अन्तिम इच्छा: मैथिली भाषा इन्टरनेट’क अधिकारिक भाषा होमय.
- बचपन मे ट्रेन’क गार्ड बनबा’क तीव्र इच्छा (जकर एक इशारा पर एक हजार टन वाला ट्रेन अपने चलनाई शुरु क’ दैत छैक) मुदा बाबुजी’क इच्छा आ काल’क मारि इन्जीनियर बना देलक. काज एतबो सँ नहि भेल आ रोजी रोटी’क चक्कर मे आई.आई.टी. सँ पी.एच.डी करय पडल.
- बच्चा मे गुड्डी कबड्डी, पिल्लो-डन्डा, ओकर बाद भाली-बाल तकर बाद क्रिकेट आब अपन डेढ साल’क बौआ सङ नुका-छिपि खेल रहल छी.
- घर मे खाना बनबैक विशेष शौक. मुदा भोज खाय’क लेल हरदम तैयार.
- टी.वी पर केवल समचारे टा देखबाक शौक मुदा आधूनिक समाचार वाचक सँ विशेष चिढ. सबसँ खराब हम आजतक चैनल केँ मानैत छी.
- भारतीय राजनीति मे जतबे लगाव ओतबे चिढ भारतीय नेता सँ.
- अब्दूल कलाम हमर आदर्श मुदा हम सबसँ बेसी घृणा लार्ड मैकाले सँ करैत छी जे भारत मे कानवेन्ट स्कूल’क शुरुआत कयलक.
- जीवन’क तेसर चरण मे प्रोफेसर बनबाक मोन (देखू ऊँट कोन कर’ट लैत अछि).
- विशेष रुप सँ बाट तकैत छी ओहि दिनक जहिया सँ मिथिला वासी मैथिली केँ इज्जत देनाई शुरु करताह (हमर प्रश्न: मैथिली केँ मिथिला-वासी नहि ते के इज्जत देत?).
- दुनियाँ’क भागम भागी मे जखन मोन थाकि जाइत अछि ते बच्चा मे खाली पैर जोतलाहा खेत मे गुड्डी’क पाछू कोना भागैत रही याद क’ लैत छी.
- एक इच्छा जे कहियो पूर्ण नहि भ’ सकैत अछि– “अपन दादी केँ अपन लिखल मैथिली ब्लोग आ धारावाहिक मैथिली उपन्यास अपना मुँह सँ पढ केँ सुनाबी”. हमर दादी १९८४ मे स्वर्गवासी भ’ गेलीह.
- एक इच्छा जे आलस्य’क कारण लटकल अछि, ” मैथिली भाषा मे अपन अलग विकीपीडिया लाउन्च करब”.
- मैथिली ब्लोग मे सबसँ बेसी सहयोग देबय वाल सहयोगी- श्री राजीव रँजन लाल
- एक आश्चर्य’क बात मुदा बिल्कुल सत्य: बन्गलोर शहर मे रहय वाला लगभग एक लाख मैथिल. मुदा हम स्म्पर्क मे छी मात्र २०० लोकनि सँ बाँकी के १९९८०० लोकनि कतय छथि कोनो पता नहि.
अपन बात
22 Comments
RSS Feed for this entry
Dear Padmanabh Ji,
I have been in touch with you and Mr. Rajeev Ranjan Lall through your vidyapati.com since last 15 days and today some how I entered into this site. Unkonwingly I tried “Apan Baat” in anticipation that it will be a poem or story but fortunately I could get a chance to know entire things (which you shared) about you. Frankely speaking I feel proud of you. It really gives me pleasure that a fellow mathil is holding such a broad mind and is ready to do any thing for his mother land and mother tounge.
You have also proved that nothing is impossible if you are iron ditermined. I praise for your works towards Maithili. Your 21 numbers of comments about you and your feelings are really great and heart touching.
At last I would like to request you – when you are putting your words in Maithili, let others also to express their views in Maithili. I mean there should be a provision to write in Maithili also which is not available here for which I have to write in English. Please dont take it otherwise. If you feel that this request is base less, please ignore me.
Thanks and Regards,
Shailendra Mohan Jha
So nice of you. Sincerely thanks.
श्रीमान्,
जौं उचित बुझी त अपनेक दूरभाष संख्या देल जाव.
सादर,
शैलेन्द्र मोहन झा
bhaut nik lagal apnek bat.
sir, maithili hardam ahan ke rini rahat.
Roushan jha
Ahak baat t’ lagait achi je padhite rahi. Jatek eksha ahaak achi otbe hamra lagait achi sabke rahait hetai muda lok appan eksha ke mari aadhunikta ke daur me shamil chathi.
sir,
Hum Dak Nirikshak k pad parTrivandrum me padasthapit chi. Apnek prayash sarahniy aa hamra sanak lel utsahbardhak achi. Ehi sitek karane Gam san etak dur rahalak kast kichu kam bha jait achi. Apnek ehi prayashk lel hardik badhai.
अहाँ सब लोकनि केँ धन्यवाद. मैथिली भाषा के इन्टरनेट पर प्रचार प्रसार करबाक लेल हम अपने लोकनि सँ आग्रह करैत छी. अहाँ लोकनि अपन अपन ब्लोग मैथिली मे लिखनाई शुरु क’ दिऔक. यदि नहि होमय ते http://www.vidyapati.org क लेल जरूर लिखी.
padmanabhjee, ahaank bhaavnaa aur prayaas dunoo neek laagal . ahaank naamak pahil bhaag , padma , hamaraa gaamak naam achhi , jakaraa sa hamaraa otave prem achhi jatek okaraa par garv achhi . aab hamahoo pravaasiye chhee , mudaa gaam sa sampark rahait achhi . maithili aur mithila sa prem hamaraa dunoo aadami ke ekke wavelength par rakhait achhi.
Sir
Padamnabh ji internet par maithili saite kholae aha mithilak nam orr
roshan kae deleay , ohee ke hamra taraph sa dhannbad .
ek ta agrah achi je apne apan phone nummber hamra mail par bhej
deb takee apne sa baat bha sakeit acchi .
Swarag sa sunder mithila dham ,
ohee mai achhi Akaur (Benipatti Madhubani) hamer gam ,
Rajesh kumar thakur achhi hamer nam ,
ohee mithila dham ke karait chhi satt – satt pranam ,
Dhanbad
राज कुमार जी अपनेक सराहना’क लेल धन्यवाद. उत्साहवर्धन करैत रहु हमर प्रयास जारी रहत. कतेक रास बात ब्लॉग मे टिप्पणी दी त बढियां ओएह हमारा लोकनिक मुख्य मंच थीक.
राजेश जी;
अहाँ अपन देल जाए हम फोन न द देब. अहं कतेक रास बात ब्लॉग मे टिप्पणी दी त बढियां ओएह हमारा लोकनिक मुख्य मंच थीक.
ahaan ke “Apan Bat” paidh bada khushi bhail. Ahenke zila se ham hun chheey. Zagah ke nam chhi -Birpur and Maithili and Mithila se bada laggav aichh.
dhanbad
bahut nik payas sir jee ahank ,karanti ak chingali sah shuru hut acha, aur tufan me badal jat achha ae ser ahan shuru kalon mathalik samman kal ke subah ke sath 100 mathalis bhajeta sath sahi ne?
Ahak nabaka sathi
Basant jha
M.sc(math)
aahank prayas pranamya achi. mudaa,copyright free sahitya net par uplabdha hoie ta besi neek laagat.
Sir,
Gaamak ek ek ta baat ke Mon pari dait chhi fer sa gaam jaik tibra ichha bha jaiet aichh. etek Paigh lok rahito Gaam sa etail jural chhi se badd nik lagal. Maithili ke he adutiya saput ahan ke sat-sat Pranam!
Chot muh paigh baat bhel ho ta kshama karab.
Apenek
Rajesh
सब लोकनि केँ नमस्कार,
मैथिली के सेवा केवल मैथिली के प्रयोग सँ कऽ सकैत छी. ई वेबसाईट एकर एक उदाहरण थीक. प्रत्येक लोकनि सँ आग्रह जे मैथिली मे ब्लोग लिखनाई शुरु कऽ दियौक.
bhaut nik lagal apnek bat.
vinti
maa mithila, ahaan dhanya chhi;
dhanya achhi ahaank chinbaar.
vidwat sut janani ahaan,
kariyau kane vichaar.
nit-nutan parivesh san’ ,
ojaswit sursari dhaar
rasavesh paripurn hoiith
anupam maithil nar-nari.
hey mamtamayi ratnamanjari
‘akhilak’ swapn karoo sakaar
dhan-dhanya aa sangturiya san’
bharal rahay ee khet pathaar………….
dhan-dhanya aa sangturiya san’
bharal rahay ee khet pathaar…………..
Akhilendra Nath
Faculty of Law (DU)
श्रीमान पद्मनाभ जी
अहक मैथिलि भाषा के प्रति लगाव और ओकर प्रचार के लेल उत्साह देख क हमरो मोन मैथिलि में लिखबाक का रहल किछु महिना पाहिले लिखनाए शुरू केने छि और अपन एकता ब्लॉग सेहो बनने छि किंतु ओही पर एखन धरी हिन्दी में लिखत छलौ.
मैथिलि भाषा के एही स्तर पर प्रचार कर के लेल अहाक धन्यवाद !
सुमित ठाकुर
धन्यवाद सुमित जी,
आशा अछि मैथिली लिखनाई बन्द नहि करब.
it is nice to know that being in the so hi-fi company we still love Maithali i am from Mithala but i do not know ‘SHUDHA’ Mathali but intend to make a film my mother tongue.
nice ! keep on!
आई मौका भेटल जे मैथिलि भाषा में अपनेक योगदानक लेल अपनेक धन्यवाद् करी । बहुत खुशी होइत अछि जखन अपन माटी पानी कए लोक किछु अलग करवाक कोसिस करैत छथि। हमही नही समस्त मैथिल परिवार अपनेक कोशिस के लेल ऋणी छथि । हमर इ कामना रहत जे अपने अपन सपना के जल्दी सं पुरा करू ।
अपनेक एकटा मैथिल भाई
नारायणजी लाल दास