समदिया: एकटा टटका ब्लोग

January 11, 2008

मैथिली भाषा’क विकास भ’ रहल अछि. यदि गाम घर मे रहनिहार मैथिली’क कम सँ कम प्रयोग करैत छथि ते इन्टरनेट पर रहनिहार बेसी. २००७ मे लगभग एक दर्जन मैथिली ब्लोग’क अवतार भेल अछि. ओरकुट पर एकटा हम कम्यूनिटी शुरु केने छलहुँ. ओकर नाम छल आई एम द प्राउड मैथिली ब्लोगर (हम एकटा गौरवशाली मैथिली ब्लोगर छी). हमरा नहि विश्वास छल जे एहि क्म्यूनिटी’क सँख्याँ २-३टा सँ बेसी होयत. आई फेर सँ ओहि कम्यूनिटी केँ विजीट कायल. पता चलल जे ओकर सदस्य ९ टा भ’ गेल अछि.

एहि लेख मे हम बात करब एकटा नव ब्लोग’क. एकर नाम थीक समदिया…. हमरा बुझने समदिया’क अर्थ होयत अछि एहेन आदमी जे एक जगह के सँवाद केँ दोसर जगह मे पहुँचाबे. पौराणिक समय मे एहेन आदमी केँ दूत कहल जाइत छलैक. कोनो भी समाज मे दूत’क बहुत महत्वपूर्ण स्थान होइत छल. दूत लोकनि एतबे महत्वपूर्ण होइत छलाह जे यूद्धो के समय मे दूत लोकनि के उपर किओ हाथ नहि लगबित छलाह. रमायण मे जखन अँगद के रावण पकड़बाक लेल कहलथिन्ह ते विभीषण हुनका सावधान केने छलथिन्ह जे दूत केँ नहि छुबल जाए नहि ते अनर्थ भ’ जायत. रावण नहि मनलाह आ ओकर फल हुनका भोगय पड़लन्हि.

समदिया’क एक टा आओर मतलब होइत अछि… हिन्दी मे एकरा सँवाददाता’क नाम सँ जानल जाइत अछि. चलू एतय जे समदिया’क बारे हम बात करैत छलहुँ ओ पेशा सँ पत्रकार छथि. लिखनाई पढ़नाई हुनकर प्रकृति मे छन्हि आ एहि ब्लोग’क शुरुआत किछु उद्देश्य सँ कयने छथि.  समदिया’क लेखक छथि श्री रोशन झा. हम रौशन झा जी’क बारे मे की लिखब चलू हुनके मुँह सँ सुनु:

dsc_0014.jpgहमर नाम रौशन झा छी आ गाम मधुबनी जिलाक लखनौर गामक रहिका टोल परैत अहि। स्कूलक शिक्षा गामक स्कूल सं पूरा केला के बाद दिल्ली के रुख कायल। उंच शिक्षा दिल्ली विश्वविद्यालय सं पूरा केलों। हिंदी विषय में एम् ए केला के बाद पत्रकारिता कायल आ सम्प्रति देशक प्रतिष्ठित अख़बार अमर उजाला में बतौर खेल पत्रकार कार्यरत छी। हमर पता रौशन कुमार झा ११५७, टाइप - २ तिमारपुर, दिल्ली - 54 फ़ोन 9350216092

समदिया जी कनि मनि हमरो लोकनिक उपर मे ध्यान देबैक.